Saturday, August 22, 2015

Parampara Thakur: A Singing Prodigy of Mithila


वर्तमान समयमे गीत-संगीतक लोकप्रियताके बढबयमे म्यूजिक रीयेलीटी शो केर पैघ भूमिका मानल जाइछ। एहि म्यूजिक शोमे एश्वर्या निगम, अमिताभ नारायण,आलोक कुमार, सीमा झा, मैथिली ठाकुर आदि राष्ट्रीय स्तर पर मैथिल प्रस्थितिकें सर्वमान्य बनयबामे सफ़ल भ’ रहलीह अछि। लिटिल चैंप आ इंडियन आइडल जूनियर फेम मैथिली ठाकुर के बाद, परम्परा ठाकुर मिथिला-मैथिली-संगीतक धवजा फ़हरा रहलीह अछि। &TV पर चलि रहल रीयलिटी शो वॉयस न्डिया केर सुमुधुर प्रतिभागी परम्परा ठाकुर मैथिलीक बहुचर्चित गीतकार रवींद्र नाथ ठाकुर (चर्चित युगल रविन्द्र-महेंद्रक रविन्द्र) जीक पौत्री छी।
मूल रुपसं मिथिलाक प्रमुख केन्द्र पुर्णिया केर धमदाहा निवासी रवीन्द्रनाथ ठाकुरक परिवारक योगदान, साहित्य, गीत , संगीतक प्रबल संरक्षक के रुपमे अतु;ल्य आ अविस्मरणीय अछि। एक दिस जतय मैथिलीक पहिल फ़िल्म ‘ममता गाबय गीत’के बन्न डिब्बासं बाहर लायल, तो दोसर दिस, सीता चालीसा के माध्यमसं समस्त मिथिलामे ठाकुर परिवारक साधल स्वर – अवनीन्द्र नाथ ठाकुर आ संगीता ठाकुरक- गुंजित भेल। स्मरणीय अछि जे ममता गाबय गीतमे सारिका ठाकुर आ वैदेही जीक सुमधुर स्वरक अमृत वर्षा भेल छल। अवनीन्द्र नाथ ठाकुर और संगीता ठाकुरक पुत्री परम्परा ठाकुर अपन परिवारक संगीत परम्पराकें आगू बढबय दिस अग्रसर भेल छथि। शास्त्रीय संगीत सअ सधल सुमधुर आवाज़ और प्रतिभाशाली गायिका परंपरा ठाकुर मात्र चारि वर्षके उम्रसं सं गाबि रहलीह अछि। 13 वर्षके आयुमे राजस्थान सरकार के लेल जिंगल गेलैथ ! सब टीवी के सीरियल "क्या हाल है जीजा जी " के लेल सेहो गेने छैथ ! 2013 में प्रसिद्ध बैंड Euphoria सअ जुरलैथ ! लेडी श्रीराम कॉलेज , दिल्लीसं पढ़ल परंपरा अनेको म्यूजिकल अवार्ड अप्पन नाम केने छैथ !


परम्परा ठाकुर भारतीय टेलिविजन & tvम्यूजिक रीयलिटी शो  द वॉयस इंडिया मे अपन गायनक परचम लहरा रहलीह अछिअपने लोकनि एहि बुच्चीके बेसी-स'-बेसी वोट ' संगीतक क्षितिजमे मिथिलाक एकगोट आओर सिताराके प्रखर होइमे सहियोग करी


3 comments: