Thursday, April 4, 2013

Actress Sudha Jha : Amicable Personality Of Stage and Films


मैथिली फ़िल्म आ रंगमंच पर मैथिल महिला रंगकर्मीक खगता सब दिनसं रहल अछि। मुदा एहिके बादो किछु एहनो मैथिलानी छैथ जे पारम्परिक व सामाजिक अड़चनक सीमा लांघैत अपन रंगमंच, फ़िल्म व सीरियलमें अपन अभिनय कौशल देख़ा रहली अछि। एहने मैथिल महिला रंगकर्मीमें एकटा सुन्नर ,सौम्य नाम अछि सुधा झा जेकि रंगमंच, सीरियल आ फ़िल्मसं जुड़ल छैथ आ मैथिली- भोजपुरी सिनेमा उद्योगक चरित्र अभिनेत्री रुपमें जानल जायत छैथ।

मूल रुपसं मधुबनी जिलाके पद्माके रहनिहार सुधा जीकें अभिनयके प्रति बाल्यकालहि सं झुकाव रहैन । परिवारक वातावरण फ़िल्मी नहिं रहितो सुधा जीकें अपन परिवारसं बड्ड सहयोग भेट रहल छैन। अपन अभिनय यात्रा प्रारंभ करैत सर्वप्रथम सौभाग्य मिथिला टीवी चैनल केर एकटा नीक सीरियलमें अभिनय केलीह । अपन दिल्ली प्रवासक क्रममें  सुधा जी दिल्ली स्थित प्रसिद्ध नाट्य संस्था मैलोरंगसं जुरलैथ। संग संग सुधा जी मीडियासं जुड़िकए काज करैत रहली। हिनका कैट वॉकमें पुरस्कार सेहो भेटल छलैन। वर्ष 2011 में मैलोरंग द्वारा मैलोरंग द्वारा हिनका प्रमिला झा सम्मान सं सम्मानित कयल गेल। किछु हिन्दी सीरियल आओर फ़िल्ममें काज केने छैथ। मैथिली सिनेमामें प्रख्यात निर्देशक मुरलीधर जी अपन फ़िल्म “सजना के अंगना में सोलह सिंगार” में ,आ भोजपुरी सिनेमा में निर्देशक मनोज श्रीपति जी अपन भोजपुरी फ़िल्म “चुन्नु बाबू सिंगापुरी”में सुधा जीकें पहिल ब्रेक देने छलैथ । सुधा जी “तीन बैंड धारी”, “हम सब एक हैं”,  एवं “तकदीर” आदि फ़िल्ममें सेहो काज केने छैथ ।

सुधा जी द्वारा अभिनित मैथिली सीरियलमें “जंगला मंगला”, “दीयर भाउज” (सौभाग्य मिथिला), भोजपुरी सीरियल “डायन” (महुआ), हिन्दी सीरियल “दोबारा जिन्दगी” (प्रज्ञा), “हेल्थ प्लस” (साधाना चैनल) , “सारे जहां से अच्छा हिन्दोस्तां हमारा”, “भक्तमार की महिमा” आदि किछु नाम अछि।

सुधा जी मनोज श्रीपति द्वारा निर्देशित होमय बला एकटा मैथिली फ़िल्ममें जल्दिये देखाई देतीह।

3 comments:

  1. bahut neek ..kono kaaj kharab nhi hoyat chhaik , jaahi me rahu B D BEST..

    HMMR ASHESH SHUBHKAMNA

    ReplyDelete
  2. अति मन भावन इ मिथिला नगरी ,जिनक आचर मै भरल प्रतिभा क गगरी ,
    जय मिथिला ,जय मैथिलि "बढ मन भावन आछी आहा क नगरी "

    ReplyDelete
  3. Bahut neek Bat ay je aab Maithilini sab appan gun ke mitaba or Chullha ke jarain banaba me ny laga rahal chhaith or appan kala sa Duniya me Mithila ke Name ke utha rahal chhaith Sudha g Mili ka Pata Chalal ki E Bahut Hi Sunder of Nik Kalakar Chhaith ................ Jai MRNS

    ReplyDelete