Thursday, July 12, 2012

Lalitesh Jha : First Super Star of Maithili Films (by Bhaskar Jha)


मैथिली सिनेमाके इतिहासमें उत्कृष्ट कोटि के अभिनेता के नाम पर कहियो बात या चर्चा हेतई, त पहिल मैथिली सिनेमाक मेगा ब्लास्टर ससता जिनगी महग सेनुरके नायक प्रिय आ मधुरभाषी ललितेश जीक नाम बड्ड सम्मान आ गर्व सं लेल जावत। ललितेश जीके ज्यों मैथिली फ़िल्मक पहिल स्टार कहल जाय, त अहिमें कोनो अतिशयोक्ति नहिं। ललितेश जी एहन कलाकार छैथ जे हिन्दी , अंग्रेजी ,मैथिली, भोजपुरी, मराठी, गुजराती फ़िल्म आ सीरियल में खूब काज केने छैथ। पहिल मेगा ब्लास्टर के नायक प्रिय आ मधुरभाषी ललितेश जी अपन नीजी जिनगी में सेही नायक छैथ। मिथिला के नवतुरिया लेल एकटा आदर्श पुरुष।
ललितेश जी एखन धरि चारिटा हिन्दी फ़िल्म में सेहो नीक अभिनय केने छैथ । ललितेश जी द्वारा अभिनित किछु फ़िल्मक नाम अछि-  योगेश भारद्वाज निर्देशित फ़िल्म “शबनम मौसी”, राजीव मोहन निर्देशित फ़िल्म” बन्धु बॉक्सर”, राजीव रुईया निर्देशित “ गणेशा माय फ़्रेन्ड”, श्रेय श्रीवास्तव निर्देशित “इन्साफ़ द जस्टिस”, योगेश भारद्वाज निर्देशित “ सरगना” आदि।  राजेन्द्र प्रसाद अभिनित एकटा अंग्रेजी फ़िल्म Residue “Where the Truth Lies” में सेहो काज केने छैथ।
मैथिली आ हिन्दी फ़िल्म आ सीरियल के अलावे,  ललितेश जी भोजपुरी फ़िल्म इन्डस्ट्रीजक एकटा स्थापित अभिनेता में गिनल जायत छैथ । हुनकर भोजपुरी के किछु फ़िल्म अछि- “नाग देवता” (निर्देशक राम नारायण),” नैहर की चुनरी” (निर्देशन- हसमुख राजपूत),”हे तुलसी मैया” (निर्देशन- पद्मा खन्ना),” आम्गन की लक्ष्मी” (निर्देशन- तेजेस अखौरी),”लागल चुनरी में दाग” (निर्देशन- बी एल कश्यप), “गंगा ज्वाला” (निर्देशन- मोहन नागपाल), “गंगा तोहरे कारण” (निर्देशन- भगवान सिन्हा), “हमार घर हमार संसार “(निर्देशन- सतीश हेगड़े),”दुल्हन बानी मोर बहिनिया” (निर्देशन- प्रमोद भारद्वाज), “ माय्या आबाद रखिया सेनुरवा के” (निर्देशन- रवि भूषण आ रवि सिन्हा), “लाल चुनरिया बाली” (निर्देशन- संजीब टोनी ), “दुल्हिनिया लेके जायब हम” (निर्देशन- संजीब सिन्हा), “ होके तु रहबू हमार” (निर्देशन- गोपाल श्रीवास्तव) आदि।

ललितेश जीक अभिनय कौशलताक लाभ उठाबैत गुजराती निर्देशक हुनका सं किछु गुजराती फ़िल्म में काज करबौने छैथ जाहिमें राम नारायण द्वारा निर्देशित फ़िल्म ” नाग देवता”, माजिद खान निर्देशित “ मारी जायनु मामेरु”, सुशिल घोषक “ मारा देश नी धरती”, केशव राठौड़क “ चुनरीनी लाज“ आ “ समाज ना छोड़ू” महत्वपूर्ण नाम अछि। ललितेश जी द्वारा अभिनित एकमात्र मराठी फ़िल्म “ नाग देवता” अछि।
ललितेश जीक टेलिफ़िल्ममें किछु चर्चित नाम अहि- “ इनतकाम”, “मंजिल के रास्ते”, बेटी है वरदान” । ललितेश जी ढेर रासे टीवी सीरियल में भूमिका केने छैथ जाहिमें “त्याग”, “जाल”, “सुहाग”,”सुख दुख”,”एक और कुरुक्षेत्र”, “सिंघासन”, “बसेरा”,”अपनापन”, “अपने अपने सुरजमुखी”, “ अर्धांगिनी”, “आहट”,”तितलियां”, “खोज”, “इन्साफ़”, ‘कहीं दिया जले कहीं जिया”, “सबका मालिक एक है”, “ओ डार्लिंग ये है इंडिया’, “ थोड़ी सी जमीन थोड़ा आसमान”, ‘ घर पहुंचा द देबी मैया” आदि प्रमुख अछि।-BHASKAR JHA
 ललितेश जी एड सेहो केने छैथ जेना –रजनीगंधा पान मसाला, रिजर्व बैंक  ऑफ़ ईंडिया आ किचन किंगक।-BHASKAR JHA
 

9 comments:

  1. ललितेश जीक बारे मेँ पढ़ि कऽ हृदय प्रसन्न भऽ गेल

    ReplyDelete
  2. प्रिय भास्कर जी,
    सब' पहिने त' अहाँ धन्यवादक पात्र छी जे, मिथिलाक चुनल हीरा सबहक़ जानकारी एहि सुन्दर सन ब्लॉग पर एकत्रित क' तकरा एतेक सुनियोजित ढंग स' संग्रह क' हमरा लोकनिक बीच प्रसारित करैत छी I संगहि एकटा निवेदन सेहो जे, एहि तरहक व्यक्तित्व बला लोकक पृष्ठभूमि के संगे हुनक गाम-ठाम आदि के चर्चा सेहो होय त' बेसी उत्तम I
    ललितेश जीक सम्बन्ध में विशेष जनतव अपनेंक एहि ब्लॉग के माध्यमें भेटल हिनक उज्जवल भविष्यक कामना करैत आशा करैत छी जे मिथिला स' निकलल ई दीप सगर देश में अहिना प्रज्ज्वलित होइत रहय I
    हमरा बड़ प्रसन्नता भेल जखन कोनो अन्य सूत्र स' हिनका बारे में ई पता चलल जे हिनक गाम-मिश्रौलिया (प्रखंड बाबूबरही) छन्हि, कारण हमरा लोकनिक पंचायत एक्के अछि आ स्वाभाविक छै जे एहेन जानकारी स' हम बेसी गौरवान्वित भेल होयब I

    भास्कर जी अपनेके बेरि-बेरि धन्यवाद

    ReplyDelete
  3. waah......neek abhineta aa neek insaan.....sach kahau ta SASTA ZINDAGI AA MAHAG SINOOR.....film rahe jakkar baad hamra khayal aayal ki ham abhinay ta ka sakaiy chi aor kich nai..........lalitesh bhai.....maithili industry ke YUG PURUSH chaith......hinka sa baat cheet ma lagait achi...je mithlanchal aa maithili ka sachha sipahi...........sir i still waitng 4 ur new movie in maithili...............bahoot ...5 badhai aa shubhkaamna

    ReplyDelete
  4. LALITESH JEE MAITHILI CINEMAK EKATA BADD NEEK ABHINETA CHHAITH. HUNKAR FILM "SASTA JINAGI MAHAG SENURA" DEKHANE RAHI.....EKHANO HAMARA SAB DRISHYA WOHINA IYAAD ACHHI.....ABHINAY KE AKANKSHI MAITHIL NAVTURIYAK LEL SACHMUCH LALITESH JEE EKTA PRERANASROT CHHAITH......KASH FER SAN HUNKA KONO MAITHILI FILM ME DEKHATAHUN......HAMAR SHUBHKAMNA!!!!

    ReplyDelete
  5. BAHUT NIK , JATEK KAHI OTEK KAM ACHHI , DHANYWAD BHAI , AHI JANKARI LEL ,

    ReplyDelete

  6. Kumar Shailendra jee likhait chhaith-----Lalitesh jha ravindranath thakur k ek hindi film aayurwed ki amar kahani me nayak rahathi. Ham aa kishore keshave ravindrajee ke assist karaet rahi. Mas bhari madhubanik rati gam me shooting chalal rahay, Nakx layalpuri k beta rajan layalpuri cinemetographer rahay.Hasab chot chot bhumika me seho rahi. kichu din patnak vineet jha seho rahathi. Pata nai rabindrajeek ohi hindi Film k ki haal bhelaek? E samaya 1990 k rahay bharisak. ek sal emahar ki omhar.Mu da rati gam me shooting k o mas bharik anubhawa bejor rahay!.(facebook)

    ReplyDelete
  7. Ji bad nik lagal tahi ke lel bahut-bahut dhanybad. Asha karait chhi ke unkar auro film dekha ke mile..

    ReplyDelete
  8. Bollywood ke famous Director Narendra jha ke bahut miss kair rahal chhi Narendra ji apna sab ke dil mey aich

    ReplyDelete